Monday, November 22, 2010

माँ गई माँ (बाल कविता)


माँ गै माँ,
घरक ऊपर,
चारक तर,
बगरा बनेलकऊ,
एकटा घर

माँ गै माँ,
घरक पाछू,
बारीक बिच,
सुगा अनलकऊ,
एकटा फर

माँ गै माँ,
गामक भीतर,
टोलाक बिच,
नटुआ नचलऊ,
एकटा नाच

माँ गै माँ,
गामक बाहर,
पोखरिक बिच,
पुरैनिक पातपर,
झिलमिल जल

माँ गै माँ,
आँगन कात,
ढेकी लग,
बिहरिमे छौ,
गहुमन साँप

माँ गै माँ,
बस्तुनिया लय,
हम कहलियौ,
सब हाल-चाल,
जल्दीसँ दऽ दहीं,
बस्तुनिया हमर,
हम चललियऊ,
खेलय लेल,
नै देबहीं,
बस्तुनिया हमर

माँ गई माँ,
चिकरैत रहबौ, 
माँ गै माँ,
चिकरैत रहबौ।   

1 comment:

  1. Bahoot hi nik kavita……. Maithili kavita jagat ke e hamar sab sa karn priya kavita ai. Batsalya ras sa ot- prot, Hamar mon Atma bibhor bha gel.

    Baal rup Krishna aur sri Ram k chabi chitrit bhay jait ai…….Mon harsit bha gel…….

    Ahan punah apan paathakgan ke harsit karu e agrah ai, Ahank navin baal kavita k pratiksha me chie…….

    ReplyDelete